शुक्रवार, 29 मई 2020

उतरल गगन सँ चान रे
*****************
तीन बरस केर पूर्ण बयस भेल
देखल अद्भुत ज्ञान रे,
शुभे शुभ असीसथि अरिजन परिजन
जनम दिवस शुभकाम रे।
घर उतरल गगन सँ चान रे।।

गुरुवार, 23 अप्रैल 2020



औ कोरोना सँ अहाँ, कौखन डरू ने।
Ziffyhealth App सँ,अहूँ जुड़ू ने।।

App ई एखने डाउनलोड करू भाइ।
नामी सब डाक्टर,करता बैदाइ।।

व्हिडियो-कांफ्रेन्सक,छै ई जमाना।
घरे बैसल संभव,आना ने जाना।।

मंगलवार, 25 फ़रवरी 2020

वैवाहिक वर्षगांठ शुभकामना
---------------------------------
पावन परिणयोत्सव की आज
शुभ वर्षगांठ फिर आया है।
सुर पंचम कूकी कोयल ने
आ बसंत मुस्काया है।।
सौभाग्य सदा यह रहे बनी
स्वजनों ने आशीष बर्षाया है।
हर्षित चर्चित परिजन सारे
'अथर्व-राज' की माया है।।
 जन्मदिवस शुभकामना
 ****************
ज़िन्दगी रुकती नहीं जब,
क्यूँकर अरे रुकेंगे हम!
गिरि-नद-निर्झर पार कर,
बढ़ते कदम चलेंगे हम।।
बीत गई वो बात गई,
क्या खुशियां क्या है ग़म!
है जन्मदिवस शुभकामना
आशिर्वचन है हरदम।।

सोमवार, 27 जनवरी 2020

मुण्डन-गीत

      मुण्डन गीत
  *************
आयल शुभ दिन माघ सप्तमी
गगनांगन शुक्लक-चान हे,
छप छप हजमा केश कटै छथि
मुण्डन गान सोहाओन हे।
परिछथि केश दादी सब मिलि
बढ़ल बड़ दियमान हे,
बम-बम बंकू डुगडुग डुग्गू
होरिला अथर्व-अयान हे।
रवि-शशि सम बड़ुवा दुहूं
बाबा मुख मुस्कान हे,
राम-लखन सन जोड़ी अतुलित
ने जग मे उपमा आन हे।
जीबू जीबू बौआ अथर्वजी
जीबू शताधिक अयान हे,
आस-विश्वास अहीं सब बाबू
मातु-पिता के प्राण हे।
वंश-शिरोमणि छथि दुइ बालक
बढ़बथु कुल केर शान हे।।

शुक्रवार, 3 जनवरी 2020

जाड़ कतेक पड़ै छै यौ
*****************
बंकू बाबू डुग्गू बाबू
औ जाड़ कतेक पड़ै छै यौ।
सुटकल दुबकल रहियौ घर धरि
बड़ शीतलहरि लहरै छै यौ।
स्वेटर पहिरू टोपी पहिरू
से एहि सँ जाड़ टरै छै यौ।
धोन्हीं चादरि सुरुज नुकेला
उफ़!पछबा हाड़ गड़ै छै यौ।
हाँ,हाँ,टोपी नहि ने फेकू
एना मे कान ठरै छै यौ।
खोंता धेने चुनमुनियाँ सब
नहि बकरी घास चरै छै यौ।
कुकुर बिलैया कूँ कूँ म्याऊँ
कंबल सीरक हेरै छै यौ।
गामो घर मे बूढ़-पुरनियाँ
घूरे लग जाय अरै छै यौ।
जाड़क अमरित आगि कहाबय
दुखिया संताप हरै छै यौ।
जाड़ कसैया बड़ निर्दैया
ओ ककरो ने छोड़ै छै यौ।
ठहरू ठहरू थोड़हि दिन बस
जाड़ोक उमेर ढरै छै यौ।
नेना भुटका घर मे बैसल
ई कविता याद करै छै यौ।

गुरुवार, 2 जनवरी 2020

     हमरा सबहक नेताजी
 ******************
रगड़ा झगड़ा ठनने फीरथि
से हमरा सबहक नेताजी।
पूज्य बनल रहता ओ कोना
बेबात फसाद करेता जी।
बतकुट्टनि के खेती सनगर
आ सौंसे आगि लगेता जी।
प्राण बसय हुनकर सत्ता मे
कुर्सी लय ग़दर मचेता जी।
चारि बरस धरि निमुआने सन
पचमे आबि फुसियेता जी।
जाइत-पाइत धर्मास्त्र बल
मरछाउर छीटि सुतेता जी।
आगाँ पाछाँ मोटर पों पों
औ अगबे धूलि फकेता जी।
चलती हुनकर की देखै छी
चलती देखबथि चहेता जी।
केहन अनबुझ बूझथि सबके
पढ़ने बिनु खूब पढ़ेता जी।