शनिवार, 9 फ़रवरी 2019

           मा शारदे
        *********
मा शारदे,मा शारदे
हे मा शारदे।

भसियायल जा रहल छी
जिनगीक प्रवल धार मे
खेबब कोना कऽ नैया
भऽ बुद्धिहीन संसार मे
हमरो कने सम्हारि दे।
मा शारदे........
ई दुनियाक छै जे मेला
बड़ बड़ तकर झमेला
तनि ध्यान दे तू एम्हरो
मति मंद हम अकेला
तोँ आबि कऽ उबारि दे।
मा शारदे.........
भटकल फिरै छी सगरो
ने आस आब ककरो
सुनि ले नेहोरा हमर
नहि तऽ करबौ झगड़ो
एना नहि तोँ टारि दे।
मा शारदे.........
चंचल चपल बड़ मन रे
नहि विद्या सँ बढ़ि धन रे
कओन जतन से पायब
लागत कोना लगन रे
लऽ कऽ शरण तोँ तारि दे।
मा शारदे.........

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें